खरका- बसंत
मैथिली कविता- भास्करानन्द झा भास्कर
हमर गमकैत गाम
आ एकर स्थिति भौगोलिक
बड्ड विचित्र अछि
चारि जिलाक मध्य
सींचल युग्मित गाम हमर
खींचल प्रकृतिक
सुन्नर रेखाचित्र अछि
---अहां कत' सं छी?
नहिं द' पबैत छी
एहि प्रश्नक उत्तर सटीक
कारण --
जिला अछि दरभंगा,
एक डेग पाछू
त' जिला सीतामढी
दु डेग़ आगू
त' मुजफ़्फ़रपुर
आ
संसदीय क्षेत्र मधुबनी!
मुदा
जनम धरती हमर
बड्ड पावन पवित्र अछि
दुश्मनो हमर मित्र अछि
श्यामा-चामुंडा-उच्चैठ-पुनौरा
हमर शक्ति- चतुर्भुज
ज्ञान -विज्ञान-शास्त्रक
शास्वत अस्त्र शस्त्र अछि
सुसंस्कृत हमर चरित्र अछि
चारि जिलाक मध्य
सींचल नाम खरका- बसंत
खींचल प्रकृतिक
सुन्नर रेखाचित्र अछि...
.....
कवि -भास्कर झा
कविक वेबसाइट- https://bhaskaranand-jha.blogspot.com/
प्रतिक्रियाक लेल ईमेल - hemantdas_2001@yahoo.com
नीकअछि अहाॅक खरक बसंत ,कविताक माध्यम स बताओल अपन गामक नाम ।
ReplyDelete