Tuesday 11 February 2020

पैर तर सँ माटि घसैक रहल अछि, अपने गुमाने फुच्च...! / प्रकाश चन्द्र

 माय-बाप आओर बाल-बच्चा केँ समर्पित निबंध 

(मुख्य पेज पर जाऊ- https://bejodindia.blogspot.com/ / हर 12 घंटे पर देखैत रहू - FB+ Bejod India)

लेखक  - प्रकाश चन्द्र (ग्राम- सरहद, मधुबनी)

आजुक समय में शिक्षाक हाल, बदहाल अछि। हम-अहाँ पीसि रहल छी आओर पीसा रहल छी। कोनो परिवार सभ सँ अधिक खर्च शिक्षा पर करैत अछि। शिक्षा आब व्यापार भs गेल छैक एवं सोच एकाकी। ओहि लेल हम सब पसीना सुखा रहल छी...?

आब हमहुॅ सभ बड़का - बड़का कॉन्वेन्ट स्कूलमे अपन बाल-बच्चा केँ पढ़ा गौरवान्वित महसूस करैत नहि थाकि रहल छी, अपन पूरा जीवन बाल-बच्चाक खातिर अपन सख -मनोरथ त्यागि, रुख-सुक्ख खाइत, येन-केन प्रकारेण जीवन-यापन मे व्यस्त छी। मुदा किछु अपवाद केँ छोड़ि अधिकांशतः बाल-बच्चा केँ ओहि सँ कोनो फरक नहि पड़ैत छैक।

बेटा -बेटीमे कोनो अंतर नहि, आब बेटा सँ बेसी बेटी सभ आगु बढ़ि रहल छथि - ई बहुत नीक अछि परिवार आओर समाजक लेल। कारण जे जतेक महिला जाग्रत हेतीह ओते अपन समाज आ संस्कृति मजगूत होयत संगहि सामाजिक समस्या सँ छुटकारा भेटत जेना -दहेज प्रथा, अशिक्षा, स्वास्थ्य एवं अन्य।

ई कखनि सोचय के लेल बाध्य होमs पड़ैत अछि जखनि बच्चा सँ ई सूनय पड़ैत अछि जे -ई त सब "करैत" छैक, ई अहाँक "जिम्मेवारी" थीक.....। तखन बाल बच्चा केँ जिम्मेवारी की? ओकर पसंद, खान-पान, रहन- सहन , पहिनावा, आचार- विचार एवं व्यवहार सबटा अपन समाज और संस्कृति सँ भिन्न भेल जा रहल अछि। एकटा छोट उदाहरण - :भात-दालि, रोटी तरकारी के पर्याय : वर्गर -पीजा, सैंडविच, चिकेन, फ्राईड राईस भs गेल अछि, घरक व्यंजनक कोनो स्वाद नहि , होटल के सरलो स्वादिष्ट । एहि मानसिकता में बदलाव आवश्यक

एकर कारण हम - अहाँ छी। जनमे सँ बाल -बच्चा के परवरिशमे देखावटी सोच एकर मूल कारण अछि आओर आब ई कहय पड़ैत अछि जे कि - ककर बच्चा की करत? के जनैत अछि? ई कहि पल्ला झाड़ला सँ काज नहिं चलत ?

आजुक परिवेशमे बाल- बच्चा सभ अपन संस्कृति, भाषा, कर्तव्य-बोध, त्याग, समर्पण, सहयोग के बिसरि रहल छथि जे चिंतनीय आ संगहि दुःखद सेहो अछिI भरोसा उठि रहल अछि। समय रहैत नहि चेतब तs एहन उच्च शिक्षा एवं आधुनिक परवरिश केँ कौन औचित्य?

आजुक युवा पीढ़ी आओर माता-पिता सँ ई विनम्र निवेदन अछि जे अपन परिवार, अपन समाज, अपन संस्कृति के समझू आओर खुसहाल जीवन केँआनन्द उठाऊ, सादा जीवन उच्च विचार केँ परिभाषित कs अनुकरण करू। ..............

निबंधकार - प्रकाश चन्द्र
निबंधकारक ईमेल - lebaggo@gmail.com
पता - ग्राम: सरहद, जिला: मधुबनी
प्रतिक्रिया हेतु अहि ब्लॉगक ईमेल - editorbejodindia@gmail.com

लेखकक माता-पिता : श्री आनंद कु. दास उर्फ सरयुग बाबू एवं श्रीमती प्रेमलता देवी, ग्राम- सरहद  (मधुबनी) 

No comments:

Post a Comment