Sunday 3 May 2020

केकेएम नवम आभासी कवि सम्मेलन सह यात्रा-वृतांत प्रस्तुतिकरण दिनांक 25.4.2020

सेहन्ता लागलै रहल अपन काबिलियत पर

(मुख्य पेज पर जाऊ- bejodindia.in/ / हर 12 घंटे पर देखैत रहू - FB+ Bejod India)



सबसs पहिले बबली मीरा अपन प्रस्तुति देलथिन्ह।  हुनकर प्रस्तुति देशभक्तिपूर्ण कविता छल जेकर प्रदर्शन अद्भुत रहय-

कविता के बोल छेलै
भारत माँ की हृदय वेदना किससे कहूँ कैसे कहूँ
प्रस्तुति करण के बाद मीरा जी कानs लगलखिन से सबके बुझायल।

ओकर बाद दोसर नंबर पर सुजीत कुमार जे कविता सुनैलखिन ओहि में मुनव्वर राणा जी के कविता के आगू बढ़ेलखिन। बोल रहै -
१) जो भी सुनती है तो हवाएं वो हैरान हुआ जाता है*
और दोसर ग़ज़ल के मतला

२) रात काली है चिरागों को जलाये रखना
सुबह करीब है हिम्मत को बनाए रखना
सुना के भाव विभोर कs देलखिन।

ओकर बाद तेसर नंबर पर .विजय बाबू मंच पर अपन कविता
 के  प्रस्तुति देलखिन।

कविता के बोल रहय-
लॉकडाउन लॉकडाउन में बारह की
बजाय साढ़े बारह हम तत्पर छी
थोड़य हार मानय बला हमहूँ छी

ओकर बाद चतुर्थ कवि के रूप में .बी के कर्ण जी के देशभक्तिक कविता के प्रस्तुति भेल जैह में भारत के खेल के गुणगान और क्षेत्रभक्तिक इक्छा व्यक्त कयल गेल छल। आओर उम्मीद केला की ६ करोड़ के आबादी में १ टा ओलंपिक मैडल चाही।
शीर्षक रहे
मिथिला के लेल १ ओलंपिक मैडल

कविताक बोल छेलै
मोन मुरझाएल अछि अपन व्यक्तित्व पर
सेहन्ता लागलै रहल अपन काबिलियत पर

तखन पंचम कवि के रूप में ज्ञानवर्धन  एक टा कविताक प्रस्तुति कयलथिन्ह जाहिमे देशभक्तिक संग पूरा भारत समाहित छल।

तखन आखिर में  अमन आकाश  अपन यात्रा वृतांत "बस टू पटना" सुनौलथिन्ह जाहिमे एक टा विद्यार्थी बाहर पढ़ै ला पठाबय पर कोन कोन दिक्कत होईछ और माँ बाप के अलावा समाज ओहि बालकक प्रति अपन की चारणा बना लय छै से सब सुनय लेल भेंटल।

एक टा फकरा सुना  अमन आजुक अभिभावकक मोनक दशा के जीवंत कs देलथिन्ह-
फकरा छेलै -
बिगड़ल बेटी बने नर्स
बिगड़ल बेटा पढ़े कॉमर्स

एवम प्रकारे आई ५ टा कविता सुनय ला भेटल और एक टा यात्रा वृत्तांत जे जीवंत,सुंदर,और सामायिक छेलै।

तहि दुआरे हम .बबली मीरा, सुजीत कुमार, .विजय कुमार .बी के कर्ण, ज्ञान वर्धन एवं .अमन आकाश के बहुत बहुत धन्यवाद दै छी। एक बार पुनः हम .विजय बाबू के सफल एवं सुगठित कवि सम्मेलन के मंच संचालन के दुआरे बहुत बहुत बधाई और धन्यवाद दै छी।

विजय बाबू, .विनय कर्ण, .आशीष  और .बी के कर्ण सs हम विशेषकर क्षमा माइंग रहल छी कि हुनकर हम बस प्रस्तुति करण के सबके समक्ष राखलौं । हम सदस्यगण मे बहुत छोट छी और त अगर हमर समीक्षा में कोनो त्रुटि रैह गेल होय त हमरा क्षमा करब।
........

रपटक लेखक - अभिनव मल्लिक 
प्राप्ति माध्यम - विजय बाबू
प्रतिक्रियाक लेल ईमेल - editorbejodindia@gmail.com



 




No comments:

Post a Comment