Saturday 4 November 2017

अनमोल झा कहलनि



'साहित्य त्रिवेणी' संपादक : डॉ. कुँवर वीर सिंह मार्तंड,  कोलकाता सं निकलैे वाला हिंदी, बाँग्ला एवं उर्दूक साहित्यिक पत्रिका 'अक्टूबर-दिसम्बर 2017क अंक', 'लघुकथा विशेषांक' रूपमे प्रकाशित भेल  अछि जकर अतिथि सम्पादक : डॉ. अशोक भाटिया छथि। एहि पत्रिकाक विमोचन 26वाँ मिन्नी अंतर्राज्यीय लघुकथा सम्मेलन पंचकूला, हरियाणा मे दिनांक 29.10.2017क भेल। एहिमे लगभग 150 टा विभिन्न भाषाक लघुकथकार के लघुकथा प्रकाशित भेल अछि।जाहीमे विभिन्न भाषाक लघुकथाक संग अपन मैथिली
लघुकथा सेहो प्रकाशित भेल अछि। सम्पादक लोकनि के धन्यवाद। आभार । डॉ.अनमोल झा, कोलकाता।
………............

हमर छठम मैथिली लघुकथा संग्रह * होसिआरि * जे मैथिली साहित्यक प्रसिद्ध संस्था साहित्यिकी सरिसब - पाही द्वारा प्रकाशित भेल अछि।
‌एकर लोकार्पण आइ दिनांक 17.09.2017क पं. पंडित श्री गोविन्द झाक पैतृक आवास इसहपुर मे सम्पन्न भेल। जाहिमे गोविन्द बाबू कोनो करण सं पटना सं नहि आबि सकलाह। अक्कू जी आयल छलाह। लोकार्पण केलनि डाक्टर यशोनाथ झा, डाक्टर भीमनाथ झा, पंडित शशिनाथ झा एवं डाक्टर किशोरनाथ झा।
एहि लघुकथा संग्रह मे हमर एक सय लघुकथा संगृहीत अछि।
हम साहित्यिकी प्रकाशकक संग समस्त लोकार्पण केनिहार एवं आगत दर्शक श्रोता क आभारी छी। प्रणाम।
DR. ANMOL JHA, VINAR SYSTEMS PVT. LTD. , 9C LORD SINHA ROAD. 3RD FLOOR. KOLKATA - 700 071 (WEST BENGAL). MOBILE NO. 94337 53863 E-MAIL dr.anmoljha36@gmail.com