Thursday 27 June 2019

चुलबुली ननदिया -प्रेमक इजहार / कंचन कंठ

प्रेमक इजहार

हमर एक टा ननदि छलैथ शैलजा कंठ,ओ जतबे सुंदर ओतबे तेजस्विनी छलीह। स्नातकोत्तर अध्ययन लेल जेएनयु में एडमिशन भेलैन। एतय के त माहौल देखिकय क्षुब्ध रहि गेली । कहां ओ पढ़निहार आ अपन लक्ष्य के लेल कटिबद्ध आ कतय ई खुलापन! खैर,ओ अपन काज सं काज रखैत छलीह, किंतु जे बिहारी छात्र-छात्रा छल, ओकरा सभ के कहियो काल सावधान करैत रहैत छलीह।

ओहने एकटा छात्र छलैथ विकास कुमार। ओ हुनका व्यक्तिगत रुप सं जनैत छलीह ओ मनप्रीत कौर सं जी-जान सं प्रेम में परि गेल छलाह। ओकरा इम्प्रेस करै ले कोनो अवसर चुकै नै छलाह। मनप्रीत सेहो हुनका प्रति आसक्त भय गेलीह। एक दिन सोचल जे किया नै हमहुं किछ करि अपन प्रेम के अभिव्यक्त करै लेल। त ओ शैलजा क समक्ष अपन ई बात रखलैन कि "तुम और विकास तो एक ही बोली बोलते हो, क्या तुम मुझे अपनी भाषा में आई लव यू बोलना सिखा दोगी?" शैलजा झट दs तैयार भ गेलीह आ कहलनि "मैं तो सिखा दूंगी पर तुम तीन-चारि दिन अच्छे से याद करके ही मिलना।"

बड्ड बेस तहिना कय मनप्रीत बड़ मनोयोग से प्रैक्टिस केलैन्ह। एम्हर विकास बाबु परेशान छलाह कि भेटे नै भs रहल अछि। तs जहिना मनप्रीत पांचम दिन समाद देलखिन, बेचारे भागल-भागल गेलाह। हिनका देखतहि मनप्रीत जोर-जोर सं कहै लगलीह "रे कोढ़िफुट्टा, रे बढ़नझट्टा, रे अभगला,रे कुलबोरन, रे कुलघाती एहि दिन लै मां-बाप दीनानाथ के व्रत उपवास केने छल, जे तौ आइ ई सभ काज करै छह! पढ़बें - लिखबें से नहि यैह सभ में लागल रह।" विकास कुमार के त चकचौन्हि लागि गेलैन आ लोक हंसैत हंसैत पगला गेल।
.........

आलेख - कंचन कंठ
प्रतिक्रिया हेतु ईमेल आईडी - editorbejodindia@yahoo.com
कृपया मुख्य पेज (Main page) पर अवश्य पधारू - https://bejodindia.blogspot.com/

Thursday 6 June 2019

8 जून'19 केँ द्वारका (नई दिल्ली) मे मुक्तांगन द्वारा पोथीक समीक्षा आ लोकार्पण / भगजोगनी : कखनो इजोत आ कखनो अन्हार - डॉ. राजीव कुमार वर्मा

संस्था द्वारा सभ लोकनि केँ खुला आमंत्रण छै.




समीक्षक
प्रोफेसर देवशंकर "नवीन"
श्रीमती कुमकुम झा
डॉ. कैलाश कुमार मिश्र

आशीर्वचन : डॉ. शेफालिका वर्मा
8 ज़ून, 2019, सायं काल 4.30 सँ 6.00 बजे धरि
मुक्ताँगन, द्वारका
अपने सब सादर आमंत्रित छी

पता:
MUKTANGAN
At USHA FARMS
Isapur Khera, Dwarka,
New Delhi 110061
Near Metro Station Sector 21 Dwarka
Mobile 9818994440

Muktaangan in association with Maithili-Bhojpuri Academy, New Delhi cordially invites you all for the launch of Bhagjogni by Dr. Rajiv Kumar Verma.

With review panellists - Professor Dev Shankar “Navin”, Kumkum Jha, and Dr. Kailash Kumar Mishra, along with the blessings of Dr. Shefalika Verma.

This Saturday, 8th June 2019, 4:30 pm onwards at Muktaangan, Usha Farms, Bijwasan.