Sunday 7 January 2018

बदलल-बदलल सन दिल्ली / अजित आज़ाद



2010 के बाद सँ दिल्ली मे मिथिला-मैथिलीक गतिविधि लगातार बढ़िये रहल अछि। मृतप्राय संस्था सभ जतय फेर सँ फांड़ बन्हलक अछि ओतहि किछु नव संस्था सभ एतहुका बसात मे अलग सँ ऑक्सिजन भरलक अछि। यद्यपि 2003 मे अष्टम अनुसूची मे मैथिली सम्मिलित भेल आ ओहि समयक धरना-प्रदर्शन, समारोह, आयोजन-प्रयोजन आदिक भूमिका महत्वपूर्ण रहल छल मुदा आइ जे हँसैत-बजैत परिदृश्य अछि तकर अभाव छल। एहि परिदृश्यक निर्मिति मे मैलोरंगक नाट्य आंदोलन उल्लेखनीय योगदान देलक। मैथिली साहित्य महासभा आ मलंगिया फाउंडेशनक गठनक बाद मैथिलीक आयोजन-विस्तार भेलैक। 5-6 ठाम विद्यापति पर्व समारोहक आयोजन होबय लागल। लोकक जुटान सए-सैकड़ा सँ हज़ार होइत लाख मे बदलि गेल। गायक-गायिका सभक लेल तीर्थ भ' गेल दिल्ली। मैलोरंग सहित बारहमासा आ अछिन्जल आदिक कारणे मैथिली नाटकक तीर्थ ई पहिनहि भ' गेल छल। युवा सभक धमक सगर देश अकानय लागल। मैथिलीक आयोजन ताल ठोकि के तालकटोरा सँ ली मेरेडियन मे होमय लागल। राजनेता सभक चानी भ' गेलनि त' किछु मैथिल सभ सेहो लहका खेलाय लगलाह। किछु के सुतरबो कयलनि, किछु सुतारक जोगार मे छथि। मुदा ई अलग बात! ई सभ चलैत रहैत छैक। आगुओ चलैत रहतैक। मुख्य बात छैक परिदृश्यक निर्माण। से भेलैक अछि। विनोद कुमार झा यदि एतय मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल करबाक सपना सजौलनि अछि त' से एही परिदृश्यक कारणे। साहित्यिक चौपारि एतहुका एक नव आ जरूरी अध्याय थिक। एनएसडीक समानांतर राष्ट्रीय साहित्य विद्यालय।

चारि दिन सँ दिल्लीक एहि बदलल माहौल मे अपना समयक दिल्ली ताकि रहल छी। अर्थात 1994 सँ 2000क बीचक दिल्ली। मुदा ने ओ नगरी ने ओ ठाम! मेट्रो-संस्कृति सँ जीवन मे गति आ लय आयल बुझना जा रहल अछि। संभव अछि जे सुभ्यस्त सेहो भेल हेता एतहुका लोक मुदा हमरा चकित-विस्मित करैत अछि किछु युवा सभक समर्पण, सक्रियता आ सम्मान-भाव। अपन भाग पर अदौ सँ गुमान करय बला मिथिला बाद मे अयाचीक साग पर गुमान करय लागल छल। फेर की-कोना भेलैक जे पाग पर करैत-करैत ताग पर करय लागल। हम मुदा एखन मैथिलक जाग (जागरण) पर गुमान क' रहल छी। रमण-चमन सँ साहित्यिक-सांस्कृतिक अध्ययन-मनन धरि पहुँचल ई यात्रा चलैत रहबाक चाही मित्र लोकनि...प्रकाश झा, संजीव सिन्हा, विमल जी मिश्र, नीलेश दीपक, मुकेश झा, ऋषि मलंगिया, अमित आनंद, केशव झा, सुनीत ठाकुर, मनीष झा बौआभाइ, शरत झा, निशित कुमार मिश्र, मणिभूषण झा, एकांत राजीव, राहुल झा, बिभा कुमारी, सविता झा सोनी, रामबाबू सिंह मधेपुर, मनीष आनंद।


(किछु वरिष्ठ अवदानीक नाम मित्रक सूची मे संकोचवश नहि लेल अछि। कृपया क्षमा करथि कैलाश कुमार मिश्र, अमरनाथ झा, नीरज पाठक, सविता झा खान जी)