Monday 22 July 2019

'कर्णामृत' पत्रिकाक जनवरी-जून 2019 लघुकथा अंक प्रकाशित

मनोरंजक आ विचारोत्तेजक लघुकथा सँ परिपूर्ण विशेषांक


अहि अंक मे पृष्ठ संख्या 65 पर लेखिका चंदना दत्तक दू टा लघुकथा प्रकाशित भेल अछि. पहिल "औंठा छाप" हास्य छै जहनि कि दोसर "हँ गै दैया हमरो" अत्यंत गम्भीर विषय पर आधारित अछि. अहि मे लेखिका चंदना दत्त देखौलन्हि अछि कि केना पाँच-छौ सालक बच्ची सभ सेहो पुरुषक कामुकतापूर्ण अनुचित दृष्टि कें असहाय रूप सँ सहै लेल विवश छैक. लघुकथा सोचबाक लेल बाध्य करैत अछि. 

पृष्ठ 66 पर कंचन अरबिंद कंठक के दुइ गोट लघुकथा छैक- 'कर्तव्यनिष्ठा' आर 'ग़ठबंधन'.  दूनू लघुकथा असल मे जीवनक संस्मरण छै. पहिल मे प्रधानमंत्री चंद्रशेखरक काल मे एक टा कर्तव्यनिष्ठ पदाधिकारी कें कार्यक उल्लेख छै त दोसर मे पिताजी के विनोदी स्वभावक वर्णन छै. दूनू मनोरंजक शैली मे लिखल छै जै सँ पढ़ैवला के मोन लगै छै आ किछु सिखैले सेहो भेटै छै. 

ई पत्रिका अवश्य कीन कS  पढ़बाक चाही.
(-बेजोड़ इंडिया ब्यूरो)



4 comments:

  1. विषय गंभीर अछि समाज के चिन्तन आवश्यकता

    ReplyDelete
    Replies
    1. सत्य कथन. blogger.com पर login करि क कमेंट करला सँ एतS ब्लॉगर मे देल गेल नाम आ फोटो दूनू दिखबाक चाहि.

      Delete
  2. ओ बहुत सहजता सौं गंभीर विषय पर लिखा छथि।बहुत बहुत बधाई।

    ReplyDelete
    Replies
    1. धन्यवाद. blogger.com पर login करि क कमेंट करला सँ एतS ब्लॉगर मे देल गेल नाम आ फोटो दूनू दिखबाक चाहि.

      Delete