ओ शीघ्र लेल निर्णय
मनुख के सामाजिक प्राणी कहल गेल अछि, जे कि शत - प्रतिशत सांच अछि। समाज माने जे ककरो दुख - सुख में संग दै बला व्यक्ति क समूह - कहल जा सकैत छैक। कोनो व्यक्ति धनी वा निर्धन के असगरे गुजारा असंभव अछि। जीवन- यात्रा में अनेक लोक भेटैत अछि एक - दोसरा के काज अबैत अछि किंतु किछु लोक एहेन होइत छथि जिनकर कर्ज लोक उतारय के सोचियो नहि सकत अछि।हमर ई कथा ओहि देवदूत के हमर कृतज्ञता ज्ञापन अछि।
हमर बरकी बेटी के एडमिशन इंजीनियरिंग में मुंबई में भेल छल। तखने संयोगवश हमर पतिदेव के सेहो ट्रांसफर मुंबई भ गेल। हम सभ पहिनो ओतय रहैत छलहुं, एकटा छोटछीन फ्लैट सेहो छल ओतय। त दू- तीन साल एमहर- ओमहर बऊयेला के बाद अपन घर में रहब के पुनः अवसर भेटला सं सभ बड्ड आनन्दित - मुदित रही। घरो मे तावत किछु नव साज-सज्जा करबा लेब, सामान ऐला सं पहिने से सोचलहुं।
निश्चय भेल कि ज्वॉइन केला के बाद दुनु छोटका बच्चा सभके स्कूल ट्रांसफर के बाद मुंबई शिफ्ट करी।ज्वाइनिंग के पंद्रह दिन के भीतर पूना सं सभ समटि कय तखन अगिला महीना शिफ्ट भ जाएब।सैह सोचि पतिदेव ज्वॉइन कय लेल आ हम दुनु बच्चा के अर्द्धवार्षिक परीक्षा के तैयारी कराबय में लागि गेलहुं।एक- दू दिन बाद हिनकर फोन आयल कि अगिला सप्ताह गणपति के छुट्टी रहत आ बच्चा सभ के छुट्टी सेहो अछि त अहां सब आऊ गणपति पूजा सेहो देख लेब आ घरो के बारे में आइडिया द देब। एहिना निश्चय भेल।
17 सितंबर 2012 ओहिना याद अछि हमरा। हम बच्चा सब के स्कूल पठा कय जल्दी - जल्दी काज खतम कय पैकिंग केलहुं। त माय के मोन त बुझले अछि। भेल कि ओह बरकी एते दिन सं होस्टल में अछि आ निज पावैन के दिन में जा रहल छी त कनी खजूर पिरकिया बना कय नेने चली। त झटपट सब सरंजाम कय खजूर ठोकैत रही त हिनकर फोन आयल। हम पूर्ण आत्मविश्वास सँ हिनका कहलियैन "अहां कनिको चिन्ता जुनि करू हमरा किछु परेशानी नै होयत, हम बच्चा सभ संगे आबि जाएब।"आ हम आब पिरकिया के तरद्दुद में लागि गेलहुं।
किंतु कहबी छैक "मेरे मन कछु और है बिधना के कछु और।" बच्चा सभ आयल, ओकरा सभ के हाथ - मुंह धोया, खायलेल बैसेलहुं कि फोन बाजल। उठेलहुं त ओमहर सं हिनकर मित्र के आवाज छल कि "श्रीमान आई सी यू में छैथ, हुनका हार्ट अटैक ऐलैन्हया ।डाॅक्टर के अनुसार दू घंटा सं बेसी समय नहि अछि। एंजियोप्लास्टी करय परत। जल्दी बाजू की करबाक अछि।" हमरा काटू त खून नै! एखने त केहेन नीक बतियैल रही, कतेक प्लान बनने रही कि जीवन एतेक क्षणभंगुर अछि! आब हम की करू? कतय जाउ? एहि परदेस मे के अछि हमर! तावते फोन सं फेर आवाज आयल "जल्दी बाजू की करब?"
हम कहुना हिम्मत समटलहुं ,नोर पोछलहुं आ जवाब देल "जे डाॅक्टर के नीक बुझाय,जाहि सौं हिनकर प्राण रक्षा होइन से करू। हम अहां के फुल ऑथॉरिटी दै छी।"ई कहि बच्चा सभ के समझा बुझा,पडोसी के स्थिति बता कय ओतय सं असगरे मुंबई चलि देलहुं। भरि रस्ता सभ देवी देवता के गोहराबैत नोरे- झोरे कहुना बाम्बे हास्पिटल पहुंचलहुं। तावत पतिदेव के सफल एंजियोप्लास्टी भ चुकल छल ओ खतरा सं बाहर किन्तु ऑबजर्वेशन मे छलैथ। हम सभ देवी देवता के हृदय सौं धन्यवाद देलहुं।
दोसर दिन जखन ऑफिस के स्टाफ सभ अयला तं हमरा ओहि इंसान क पता चलल जे हमरा लेल देवदूत बनि ठाढि भेला। ओ छलथि हिनकर सबोर्डिनेट "मि. बाघेला" - जे मात्र चार दिन सं हिनका संग ऑफिस में कार्यरत छलाह। जखन टी ब्रेक मे तबीयत खराब होमय लगलैन्ह त इसारा सं ई बाघेला जी के बजेलाह त ओ हिनका दु - दु टा एसी चलैत पर घामे- पसीने देखिकय किछु अंदाज लगा लेलैनि। ओ झटपट हिनका लेल एकटा ऑफिशियल लेटर हास्पिटल के नामे तैयार कय बाम्बे हास्पिटल अनबाक निर्णय लेल । ई सबसं नजदीकी हास्पिटल छल।हुनकर ई निर्णय लाइफ सेवियर सिद्ध भेल, हिनकर कंडिशन में। तैं हुनक ई कृत्य ओ उपकार त हम ताउम्र नहि बिसरब। जे भेंट करय आबथि - डाॅक्टर सं ल क मित्र,परिचित - सभ हुनकर त्वरित निर्णय ,कार्य ओ अनुभव के भूरि - भूरि प्रशंसा करथि। हम त अनायास हुनका आगे नतमस्तक छी। ओ आब रिटायर्ड भ अनेकानेक सामाजिक कार्य में एखनो संलिप्त छथि। ओ अहिना सभ दिन स्वस्थ ओ सानंद रहथु। रक्तदान के लेल हम हुनकहि सौं प्रेरित भेलहुं। मि. बाघेला अपनेके हम कहियो नहि बिसरब।
.....
आलेख:-कंचन कंठ
लेखिकाक ईमेल- kanchank1092@gmail.com
प्रतिक्रिया हेतु ईमेल - editorbejodindia@yahoo.com
आभार संपादक महोदय
ReplyDelete